देवघरक लेल 'मिथिला देवघर साइकल यात्रा शुभारम्भ भेल

मैथिली भाषा, साहित्य, कला–संस्कृतिक उन्नयनक उद्देश्यक सङ्ग सप्तरीसँ भारतक देवघरक लेल 'मिथिला देवघर साइकल यात्रा २०७६' काल्हि दिनाङ्...

मैथिली भाषा, साहित्य, कला–संस्कृतिक उन्नयनक उद्देश्यक सङ्ग सप्तरीसँ भारतक देवघरक लेल 'मिथिला देवघर साइकल यात्रा २०७६' काल्हि दिनाङ्क २०७६/०४/२१ मंगल दिन शुभारम्भ भेल अछि ।

मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल (MiLAF Nepal) के आयोजन एवम् मैथिली साहित्य परिषद् राजविराजक समन्वयमे ३४ गोटे साइकलयात्री देवघर दास प्रस्थान कएलक अछि।

राजविराजसँ ३३८ किलोमीटरक दुरीमे रहल देवघर यात्राक लेल १५ दिनक समय तय कएल गेल अछि।
सप्तरीक बिरपुर गामसँ डिहबार थानमे पूजाआजा करि सदरमुकाम राजविराज पहुचल साइकल यात्रीलोकनिके राजदेवी माताक दर्शन करैत मैथिली भवनमे आयोजित एक कार्यक्रमक बीच अभिनन्दन विदाई कएल गेल।
साइकलयात्रीलोकनिक टोलीके विदाई करैत नेपाल सङ्गीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ : मैथिली साहित्य-संगीत-संचार संसारक बहुआयमिक व्यक्तित्व धीरेन्द्र प्रेमर्षी मातृभाषा मैथिलीक प्रचार–प्रसार तथा नेपाल–भारतक मैथिलीभाषी बीचक सम्वन्ध विस्तार हेबाक विश्वास व्यक्त कएलनि । मैथिली आ मिथिलाक झण्डा अराध्यदेव पशुपतिनाथक देशसँ देवघरधरि यात्रा करब से सराहनीय रहल ओ कहलनि ।
कार्यक्रममे मैथिली साहित्य परिषद्क पूर्व अध्यक्ष प्रा. अमरकान्त झा,पूर्व अध्यक्ष शुभचन्द्र झा, परिषद्का अध्यक्ष अशोक कुमार झा, मैसाप आ मिलाफक पूर्व अध्यक्ष एवम् साहित्यकार देवेन्द्र मिश्र, अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद् नेपालक अध्यक्ष करुणा झा, सखी-बहिनपाक अध्यक्ष आरती झा, नेपाल निजामति कर्मचारी आधिकारिक ट्रेड युनियनक जिला अध्यक्ष अजय कुमार झा, मैथिली साहित्य साहित्य परिषद्क सचिव समेत रहल नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीक उपाध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव, छिन्नमस्ता गाउँपालिका १ के वडा अध्यक्ष विनोद कुमार यादव, सङ्गोर मिथिला लहानक उपाध्यक्ष / मिलाफ सदस्य गायक तेजू मैथिल, समाजसेवी ललन कुमार यादव, मिलाफक कोषाध्यक्ष कवियत्री किरण झा लगायत यात्रा सफलताक कामना करैत शुभकामना मन्तव्य व्यक्त कएने छलनि।

सम्भवतः नेपालेमे पहिल बेर सामुहिक रुपमे ‘मिथिला देवघर साइकल यात्रा' शुभारम्भ भेल । उक्त यात्राक लेल छिन्नमस्ता एजुकेशनल एकेडेमी राजविराज, चर्चित मैथिली अभियानी / 'हेल्लो मिथिला' संचालिका एवम् गायिका रुपा झा, प्रा. अशोक कुमार झा, बरही बीरपुरक समाजसेवी ललन कुमार यादव, विनोद कुमार यादव,बरही बीरपुरक शम्भू श्री,बेलही बिषहरियाक मोहन कुमार यादव लगायत सहयोग कएलनि ।
विश्वक सरल, मिठास एवम् समृद्ध मानल मैथिली भाषाक विषयमे थप प्रचार–प्रसार तथा एक–आपसमा सम्वन्ध विस्तारक सङ्गहि मैथिली लोकगायन परम्परा एवम् शैलीक आदान–प्रदान आ मैथिली भाषा, साहित्य, कला, संस्कृती समेतक क्षेत्रमा जागरण अनबाक उद्देश्यक सङ्ग यात्रा प्रारम्भ कएल जा रहल यात्राक संयोजक सुभाष बिरपुरिया जानकारी देलनि । अखन धरिक अपडेट अनुसार यात्रीलोकनि सहरसाक पतरघट पहुचलथि। जय मैथिली !


Name

Header,3,milaf nepal,3,new-members,1,जितिया,1,डाउनलाेड,1,मैथिली साहित्यिक गोष्ठी,1,राजविराज,1,लोकगीत,1,श्रृंखला,1,
ltr
item
MiLaF Nepal: देवघरक लेल 'मिथिला देवघर साइकल यात्रा शुभारम्भ भेल
देवघरक लेल 'मिथिला देवघर साइकल यात्रा शुभारम्भ भेल
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhy_0hmfJ-SSSQoqmcywroRWqkluKqCAQZZIG4pwH1zHWGnG6UtAB4nn20pKcW6kYsyJXQq5H8g4Hk3_8jmralarWpAMROC3q2sfTgp1CPkWdKgws3KoBcsAnqur0owKDBmTkrgQa5THBx-/s400/IMG_20190809_094316.JPG
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhy_0hmfJ-SSSQoqmcywroRWqkluKqCAQZZIG4pwH1zHWGnG6UtAB4nn20pKcW6kYsyJXQq5H8g4Hk3_8jmralarWpAMROC3q2sfTgp1CPkWdKgws3KoBcsAnqur0owKDBmTkrgQa5THBx-/s72-c/IMG_20190809_094316.JPG
MiLaF Nepal
https://www.milaf.org.np/2019/11/blog-post_32.html
https://www.milaf.org.np/
https://www.milaf.org.np/
https://www.milaf.org.np/2019/11/blog-post_32.html
true
5870385320558187850
UTF-8
Loaded All Posts Not found any posts VIEW ALL Readmore Reply Cancel reply Delete By Home PAGES POSTS View All RECOMMENDED FOR YOU LABEL ARCHIVE SEARCH ALL POSTS Not found any post match with your request Back Home Sunday Monday Tuesday Wednesday Thursday Friday Saturday Sun Mon Tue Wed Thu Fri Sat January February March April May June July August September October November December Jan Feb Mar Apr May Jun Jul Aug Sep Oct Nov Dec just now 1 minute ago $$1$$ minutes ago 1 hour ago $$1$$ hours ago Yesterday $$1$$ days ago $$1$$ weeks ago more than 5 weeks ago Followers Follow THIS PREMIUM CONTENT IS LOCKED STEP 1: Share to a social network STEP 2: Click the link on your social network Copy All Code Select All Code All codes were copied to your clipboard Can not copy the codes / texts, please press [CTRL]+[C] (or CMD+C with Mac) to copy Table of Content