राजविराजमे जितिया पर्व समारोह तथा मैथिली साहित्यिक गोष्ठी

विगत पाँच वर्षसँ मैथिली भाषा,संस्कृतिक क्षेत्रमे  सक्रिय रहल संस्था मिथिला साहित्य कला–प्रतिष्ठान (मिलाफ) नेपालद्वारा शनिदिन राजविराजमे जिति...

विगत पाँच वर्षसँ मैथिली भाषा,संस्कृतिक क्षेत्रमे  सक्रिय रहल संस्था मिथिला साहित्य कला–प्रतिष्ठान (मिलाफ) नेपालद्वारा शनिदिन राजविराजमे जितिया पर्व समारोह तथा मैथिली साहित्यिक गोष्ठी ५८ एक्के सङ्ग आयोजित कएल गेल ।

राजविराजक कार्यवाहक नगर प्रमुख इसरत परविनके प्रमुख आतिथ्य आ मिलाफ नेपालक अध्यक्ष रमिला साहक अध्यक्षतामे इएह बीतल शनिदिन राजविराज नगरपालिकाक सभाकक्षमे आयोजित उक्त समारोहमे मैथिली लोकगीत प्रतियोगिता कार्यक्रम अायाेजित भेल छल । मिथिलाक हिन्दू महिलासभक कठोर नियम निष्ठाक जितिया पाबनिमे महिलासभहक बेस आस्था रहल अछि ।

कार्यक्रममे जितिया पाबनिके महत्व आ विशेषता विषयमे मिलाफ नेपालक संस्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र अपन बिचार देलथि । लोकगीत गायन प्रतियोगितामे भजनी ठाकुर, हिना झा, बसुन्धरा साह, विनीता कर्ण, सावित्री देवी राम, कपुरनी देवी राम, रजिया देवी राम, शोभा देव, सुषमा झा, पिंकी झा, रीता देव, गुलजारी यादव, रेणु स्वर्णकार, प्रतिमा देव, दिल कुमारी चौधरी, अनुराधा देव, रेणु देव आ सरितादेवी मण्डल सहित १८ गोटे महिला सहभागी भेल रहथि । प्रतियोगिताक निर्णायक समितिमे देवेन्द्र मिश्र, किरण झा, सरोज राम रहथि । 

उक्त प्रतियोगितामे प्रथम स्थान बरही विरपुरक सावित्री देवी राम, , द्वितीय राजविराजक विनिता कर्ण, तृतीय प्रतिमा देव आ दिल कुमारी चौधरी सहित दू गोटे  आ सांत्वना पुरस्कार सेहाे दू गाेटे रीता देव आ गुलजारी देवी प्राप्त कएलनि ।

               Who is Ck Raut ? and  Open Love Letter to Ck Raut About Maithili

एहि अवसरपर प्रमुख अतिथिक आसनसँ मन्तव्य दैत राजविराज नगरपालिकाक कार्यवाहक प्रमुख इसरत परवीण कहलनि जे जितिया महिलासभहक महान पर्व त' अछिए, संगे महिला सशक्तिकरण करबाक एकटा महत्वपूर्ण अवसर सेहो अछि । अाे अागाँ कहलनि जे महिलाक हाथमे नेतृत्व आबके आवश्यक्ता छै । आइके बेजोड उपस्थितिसँ महिलासभ अपन संस्कृति संरक्षण लेल तत्पर रहल बुझाइत अछि जइँमे हम सदैव सङ्ग छी ।  

मासक अन्तिम शनिदिन आयोजित होइत रहल मैथिली साहित्यिक तथा सांगितिक श्रृंखला ५८ मे  कवि सत्येन्द्रनाथ चौधरी, गजेन्द्र गजुर, राज राय, अभय प्रसाद यादव तथा  साङ्गीतिक प्रस्तुतिमे कञ्चन झा, ललिता झा, सरोज राम, मीना ठाकुर, किरण झा, विमला देव, मीना साह,बाल सृजनकर्मी उर्जा साह आदि प्रस्तुति देने रहथि ।

एहि अवसरपर विशेष अतिथि मैथिली साहित्य परिषद्क पूर्व अध्यक्ष विष्णु मण्डल, शुटिङ संघ नेपालक अध्यक्ष शशिकला मानन्धर,साहित्यकार मनोहर पोखरेल, साहित्यप्रेमी मुक्तिनाथ यादव, पत्रकार प्रिया सिंह थारू, मैथिली सहित्य परिषद,राजविराजक आजीवन सदस्य मिथिलेश कुमार झा सहितक समुपस्थिति रहल आ हुनकालोकनिद्वारा सारगर्भित विचार सम्प्रेषण कएल गेल छल । कार्यक्रममे लगभग १०० सँ अधिक महिला आ पुरुषलोकनिक सहभागिता रहल छल ।



उक्त कार्यक्रममे महिलासभकेँ सीनुर, टीकुली सनेशक रूपमे देल गेल छल आ दही चुड़ा खुआएल गेल छल।

मिलाफ काेषाध्यक्ष ललिता झाद्वारा स्वागत मनतब देल गेल एहि सम्पूर्ण कार्यक्रमक उद्घोषण मिलाफ नेपालक सदस्य शम्भुश्री कएने छल ।



Name

Header,3,milaf nepal,3,new-members,1,जितिया,1,डाउनलाेड,1,मैथिली साहित्यिक गोष्ठी,1,राजविराज,1,लोकगीत,1,श्रृंखला,1,
ltr
item
MiLaF Nepal: राजविराजमे जितिया पर्व समारोह तथा मैथिली साहित्यिक गोष्ठी
राजविराजमे जितिया पर्व समारोह तथा मैथिली साहित्यिक गोष्ठी
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEgdbjTbF1dbqGL0ScMS8RDFyT56VwxQnVeY6IwfFpFYhyYdUZGImcUiFYGz1bQ81VpxchT8pR0fB3BMF_H5Vb3u0Sgkhto_qPYB61pzfk0bb67w2T2pqPiPRkmDqfRmJu8246DRsRA1yvX6yQ7Dj0AZhccbqRnkPyLCml_VgMsyey6r26udwZW545_8/w512-h264/306566951_481401837334328_969898198538870930_n.jpg
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEgdbjTbF1dbqGL0ScMS8RDFyT56VwxQnVeY6IwfFpFYhyYdUZGImcUiFYGz1bQ81VpxchT8pR0fB3BMF_H5Vb3u0Sgkhto_qPYB61pzfk0bb67w2T2pqPiPRkmDqfRmJu8246DRsRA1yvX6yQ7Dj0AZhccbqRnkPyLCml_VgMsyey6r26udwZW545_8/s72-w512-c-h264/306566951_481401837334328_969898198538870930_n.jpg
MiLaF Nepal
https://www.milaf.org.np/2022/12/jitiya-milaf-nepal.html
https://www.milaf.org.np/
https://www.milaf.org.np/
https://www.milaf.org.np/2022/12/jitiya-milaf-nepal.html
true
5870385320558187850
UTF-8
Loaded All Posts Not found any posts VIEW ALL Readmore Reply Cancel reply Delete By Home PAGES POSTS View All RECOMMENDED FOR YOU LABEL ARCHIVE SEARCH ALL POSTS Not found any post match with your request Back Home Sunday Monday Tuesday Wednesday Thursday Friday Saturday Sun Mon Tue Wed Thu Fri Sat January February March April May June July August September October November December Jan Feb Mar Apr May Jun Jul Aug Sep Oct Nov Dec just now 1 minute ago $$1$$ minutes ago 1 hour ago $$1$$ hours ago Yesterday $$1$$ days ago $$1$$ weeks ago more than 5 weeks ago Followers Follow THIS PREMIUM CONTENT IS LOCKED STEP 1: Share to a social network STEP 2: Click the link on your social network Copy All Code Select All Code All codes were copied to your clipboard Can not copy the codes / texts, please press [CTRL]+[C] (or CMD+C with Mac) to copy Table of Content